Thursday, November 15, 2012

T V


टी वीक छोट छोट परदा पर माता पिता 
भाई बहिनक संग 
बाल बच्चा सँ भरल घर में 
स्त्री पुरुषक
कोन रूप देखाओल जाय रहल 
एक एक टा पत्नी के दुई दुई पति 
आय घरे घर परोसल जा रहल 
ककरा चुनी ककरा राखी
अपूर्व भाव  देखाओल जा रहल समाचार चैनेल पर 
बलात्कार अपहरण भ रहल 
विज्ञापन में  मर्द क वस्तु के 
नारी के मुग्ध देखोल जा रहल 
सी आइ डी के नाम पर नव नव 
अपराध क  तरीका उधिआय रहल 
भांति भांति के रिमिक्स संगीत में 
नग्न-अर्धनग्न नारी सजी रहल 
कत गेल भारतीय संस्कृति 
नारी क छवि अभिराम 
पुरुषक यौवन ललाम 
आतंकवादी  जकां टी वी-सभ्यता 
चुपचाप कहिया कोना 
प्रत्येक घर में घुसि गेल 
कतेक तरहक आतंक सँ घरक देवार  कांपि गेल  
के जनैत छल टी वी क नाम पर इ  डिब्बा 
कोन कोन रंग देखाओत 
घर घर में कचरा-पेटी बनि
अपसंस्कृति क गन्ध पसारत 
देशक कर्ण धार के ओहि पेटी में भरि बाहर फेकि आयत....

No comments:

Post a Comment